असमिया भाषा
असमिया Assamese | ||||||
---|---|---|---|---|---|---|
असामी, असमिया (ओक्छोमिया)[१][२] | ||||||
उच्चारण: | आकृति:IPA-as | |||||
बाजल जाइवाला स्थान: | भारत | |||||
आरम्भ: | २०१० | |||||
प्रयोग क्षेत्र: | असम, अरुणाचल प्रदेश आ नागाल्यान्ड[३] | |||||
समुदाय: | असमिया लोक | |||||
मातृभाषी: | १५ मिलियन | |||||
भाषा परिवार: | ||||||
शाखा भाषा: | ||||||
लिपि | पूर्वी नागरी | |||||
आधिकारिक अवस्था | ||||||
आधिकारिक भाषा | भारत (असम) | |||||
नियन्त्रण कर्ता | असम साहित्य सभा | |||||
भाषा कोड: | ||||||
आइएसओ ६३९-१ | as | |||||
आइएसओ ६३९-२ | asm | |||||
आइएसओ ६३९-३ | asm | |||||
भाषावेधशाला | 59-AAF-w | |||||
| ||||||
|
असमिया भाषा (/ˌæsəˈmiːz/)[४] वा असामी[५][६][७]एक पूर्वी भारोपेली भाषा छी जे भारतीय राज्य असममे मुख्यतया बाजल जाइत् अछि । ई असम राज्यक आधिकारिक भाषा सेहो छी । आधुनिक भारतीय आर्यभाषासभक शृङ्खलामे पूर्वी सीमा पर अवस्थित असमक भाषाकें असमी, असमिया अथवा आसामी कहल जाइत अछि । असमिया भारतक असम प्रान्तमे बाजल जाइवला प्रमुख भाषा छी । भाषा परिवारक दृष्टिसँ एकर सम्बन्ध आर्य भाषा परिवार सँ अछि आ बाङ्ग्ला, मैथिली, उड़िया आ नेपालीसँ एकर निकट सम्बन्ध अछि ।
गियर्सनक वर्गीकरणक दृष्टिसँ ई बाहरी उपशाखाक पूर्वी समुदायकें भाषा छी, मुदा सुनीतिकुमार चटर्जीक वर्गीकरणमे प्राच्य समुदायमे एकर स्थान अछि । उड़िया भाषा तथा बङ्गला भाषा जका असामीकें सेहो उत्पत्ति प्राकृत तथा अपभ्रंशसँ भेल पुष्टि कएल गेल अछि ।
यद्यपि असमिया भाषाक उत्पत्ति सत्रहम् शताब्दीसँ भेल मानल जाइत अछि मुदा साहित्यिक अभिरुचिसभक प्रदर्शन तेरहम् शताब्दीमे रुद्र कन्दलीक द्रोण पर्व (महाभारत) तथा माधव कन्दलीक रामायणसँ प्रारम्भ भेल । वैष्णवी आन्दोलनद्वारा प्रान्तीय साहित्यकें बल प्रदान केलक । शंकर देव (१४४९-१५६८) अपन लम्बा जीवन-यात्रामे ई आन्दोलनकें स्वरचित काव्य, नाट्य आ गीतसभ सँ जीवित राखने छल ।
सीमाक दृष्टिसँ असमिया क्षेत्रक पश्चिममे बङ्गला भाषा उपस्थित अछि । अन्य दिशासभमे बहुतेक भिन्न परिवारसभक भाषासभ बाजल जाइत अछि । एहिमे सँ तिब्बती भाषा, बर्मी भाषा तथा खासी भाषा प्रमुख अछि । ई सीमावर्ती भाषासभक गहीरगर प्रभाव असमियाक मूल प्रकृतिमे देखल जाए सकैत अछि । अपन प्रदेशमे सेहो असमिया एकमात्र भाषा नै छी जे बाजल जाइत अछि । ई प्रमुखत: मैदानक भाषा छी ।
असमिया या बङ्गला
[सम्पादन करी]बहुत दिनधरि असमियाकें बङ्गला भाषाक एक उपबोली सिद्ध करवाक उपक्रम होइत रहल अछि । असमियाक तुलनामे बङ्गला भाषा आ साहित्यकें बहुमुखी प्रसारक नियार करि लोक ई प्रकारक धारण बनबैत चलि आबि रहल अछि । मुदा भाषावैज्ञानिक दृष्टिसँ बङ्गला आ असमियाक समानान्तर विकास बहुत सहज तरिकासँ देखल जाए सकैत अछि । मागधी अपभ्रंशक एक टा स्रोत सँ नि:सृत होमएक कारण दुनूमे समानताएँ भऽ सकैत अछि, मुदा ओकर आधार पर एक दोसरक बोली सिद्ध नै कएल जाए सकैत अछि ।
सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ "2016. Ethnologue: Languages of the World, Nineteenth edition. Dallas, Texas: SIL International"। SIL International। 2016।
- ↑ "The Indo-Aryan languages, Routledge Language Family Series, vol. 2, London and New York: Routledge" (PDF)। George Cardona and Dhanesh Jain। 2003।
- ↑ "Assamese"। lisindia.net। मूलसँ 2017-06-21 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2018-02-21।
- ↑ "Assamese - definition of Assamese in English from the Oxford dictionary"। मूलसँ 7 March 2016 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2 March 2016।
{{cite web}}
: Unknown parameter|dead-url=
ignored (|url-status=
suggested) (help) - ↑ "2016. Ethnologue: Languages of the World, Nineteenth edition. Dallas, Texas: SIL International"। SIL International। 2016।
- ↑ "Consonant Germination and Compensatory Lengthening in Asamiya dialects: Contemporary standard and Central Assam" (PDF)। Dipankar Moral - Gauhati University।
- ↑ "International Conference on Universal Knowledge and Language. Goa, 25 - 27 November, 2002 - DEURI and TIWA: Endangered languages in the Brahmaputra valley" (PDF)। Dipankar Moral, Gauhati University। November 2002। मूल (PDF)सँ 2017-10-11 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2018-02-21।
{{cite web}}
: Unknown parameter|dead-url=
ignored (|url-status=
suggested) (help)